होमसमाचारअनशनकारीक माग प्रतिए विभिन्न दलक ऐक्यबद्धता

काठमाडौँ : श्रमजीवी पत्रकार/कर्मचारी सबके विभिन्न पैघ सञ्चार प्रतिष्ठान व्यवस्थापक सबद्वारा कएल जारहल प्रतारणा प्रतिए संसद्‌मे प्रतिनिधित्व करबला आ संसद्‌ बाहर रहल राजनीतिक दल दुःख व्यक्त कएलक अछि।

नता समाजवादी पार्टीक वरिष्ठ नेता तथा पूर्व प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई सरकार आ व्यवस्थापक के सञ्चारगृहक पीडित पत्रकार/कर्मचारी संयुक्त संघर्ष समितिक आयोजनामे जारी पाँच दिनक रिले अनशनमे सहभागी पत्रकार/कर्मचारीके माग यथाशीघ्र पूरा करबाक आग्रह कएलनि।

अनशलस्थल नयाँ बानेश्वर आबि नेता डा. भट्टराई श्रमजीवी पत्रकार ऐन आ श्रम ऐन अनुसार पारिश्रमिक लगायत सेवा सुविधा उपलब्ध कराबलेल सञ्चार प्रतिष्ठानक सञ्चालक सबके ध्यान देब कहलनि।

श्रमजीवी पत्रकार/कर्मचारीके कोविड-१९ वैश्विक महामारीके बहाना बना रोजगारसँ हटएबाक काज अनुचित भेल कहैत डा. भट्टराई सरकारके एहि समस्याक समाधान करबाक लेल शीघ्रातिशीघ्र ध्यान देब कहलनि।
डा. भट्टराईद्वारा अनशन स्थल आबि ऐक्यबद्धता व्यक्त कएलाबाद रिले अनशनके चारिम दिन प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेसक प्रवक्ता विश्वप्रकाश शर्मा आ सत्ताधारी नेकपाक प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ अनशनस्थल आबि अपन-अपन पार्टीक ऐक्यबद्धता व्यक्त कएलनि।

ऐहिना प्रेस संगठनक संयोजक महेश्वर दाहाल, प्रेस नेपालक अध्यक्ष केशव अर्याल, क्रान्तिकारी पत्रकार महासंघक अध्यक्ष इन्द्र राउत, क्रान्तिकारी पत्रकार संगठन लगायत विभिन्न ट्रेड यूनियनक प्रतिनिधिद्वारा ऐक्यबद्धता व्यक्त कएलगेल अनशनकारी सबक कहब छै।

RELATED ARTICLES
- Advertisment -spot_img

Most Popular